56 गोट और कॉलेजक मान्यता रद्द, एखन धरि 124 गोट संस्थानक खिलाफ भय चुकल कार्रवाई

    0
    350

    पटना, मिथिला मिरर: पिछला 2 सालक अंदर गलत ढंग सं मान्यता प्राप्त 212 कॉलेज एवं स्कूलक खिलाफ जांच कार्य पूरा भेला के बाद बिहार विद्यालय परीक्षा समिति एक बेर फेर पैघ कार्रवाई केलक अछि। बोर्ड अध्यक्ष आनंद किशोर कार्रवाईक जानकारी दैत कहलनि जे, मापदंड पूरा नहि करयवाला विभिन्न जिलाक कुल 56 कॉलेजक मान्यता रद्द कय देल गेल अछि, संगहि 26 संस्थानक मान्यता के निलंबित करबाक निर्णय लेल गेल अछि।

    मान्यता निलंबित होबय वला कॉलेज सं 15 दिनक भीतर कारण बताओ नोटिस के जवाब मांगल गेल अछि। अध्यक्ष आनंद किशोर कहलनि जे, 2 टा संस्थानक सुधार के लेल 6 महीना के मौका देल गेल अछि आ कुल 13 ऐहेन संस्थान अछि जकर पूर्व मे मान्यता रद्द कायल गेल छल ओहि संस्थानक मात्र ओहि संकायक मान्यता के रद्द करबाक निर्णय लेल गेल अछि जकरा बीएसईबी के द्वारा 2 सालक अंदर देल गेल छल।

    ज्ञात हो कि बोर्डक अहि कार्रवाई के बाद 212 मे सं एखन धरि कुल 124 संस्थानक मान्यता रद्द कायल जा चुकल अछि।