पटना मे एससी-एसटी छात्र पर पुलिस बरसौलक लाठी, दर्जनो घायल

    0
    259

    पटना, मिथिला मिरर:  पटना पुलिस बुधदिन भारतीय विद्यार्थी कल्याण संगठनक छात्र सभ पर जमि कय लाठी भजलक आ छात्र सभ के दौड़ा-दौड़ा कय पिटलक, जाहि स प्रदर्शन स्थान पर भगदड़ मचि गेल। जानकारीक अनुसार संगठनक बैनर लय छात्र सभ सरकार के खिलाफ विरोध प्रदर्शन कय रहल छलाह।लाठीचार्ज मे दर्जनो छात्र घायल भेल छथि। घायलक इलाज के लेल पीएमसीएच मे भर्ती कराओल गेल अछि। महेंद्रू हॉस्टल पटना स एससी-एसटी छात्रक संगठन अपन मांगक समर्थन मे विधानसभा के घेराव करय पहुँचल छलाह।

    सूत्रक अनुसार प्रदर्शनकारी छात्रक मांग छल जे, एससी-एसी छात्रवृति देल जाय आ सभ जिला मे कल्याण छात्रावासक निर्माण कायल जाय तथा प्रमोशन मे आरक्षण के सुविधा देल जाय। प्रदर्शन करय पहुँचल छात्र के पुलिस पहिने समझाबुझा कय जेपी गोलंबर लग घंटो धरि रोकि कय बातचीत केलक, मुदा छात्र नहि मानलनि। जकरा बाद पुलिस अप्पन बलक प्रयोग के छात्र के खदेड़ देलक।