सब दिस मानव श्रृंखला’क तैयारी मे जुटल सरकारी महकमा

    0
    239

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: 21 जनवरी कय राज्य मे मानव श्रृंखलाक लेल प्रशासनिक एवं शैक्षणिक महकमा सड़क पर उतरी गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकरा विश्वक सब स पैघ मानव श्रृंखला बनेबाक लेल स्वं मोनेट्रिंग कय रहल छथि।

    त्रिस्तरीय पंचायती राज व्यवस्थाक तहत आबय वला जनप्रतिनिधिक संग प्रखंड सं लय क जिला स्तर पर लगातार बैसक भय रहल अछि। जन वितरण बिक्रेता तक मानव शृंखलाक तैयारी मे जुटल छथि। शिक्षक-छात्र आ प्रशासनिक महकमाक लोक तैयारी मे जुटल छथि।

    मंगलदिन बिरौल मे एसडीपीओ’क नेतृत्व मे मॉकड्रील कायल गेल, त स्कूल मे अभिभावकक बैसक भेल। ओतहि दरभंगा प्रमंडल के आयुक्त जिला मुख्यालय मे मानव श्रृंखलाक तैयारी के लय समीक्षा केलनि।