मधुबनी पेट्रोल पंप पर हथियारक बले दू लाखक लूट

    0
    302

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: भगवतीपुर चौक स्थित शिवशंकर साह के पेट्रोल पम्प पर सरेशाम सशस्त्र अपराध कर्मी गोलीक बौछार कय दू लाख रुपैया लूटि लेलक। पेट्रोल पम्प मालिक के अनुसार साँझ 5:30 बजे दू गोट मोटरसाइकिल पर सवार भय चारि टा नकाबपोश छल। ओ अबतही गोली चलाबय लागल आ 2 लाख रुपैया लूटि लेलक।

    घटना के बाद अपराधी झंझारपुर दिस भागल छल। झंझारपुर पुलिस निरीक्षक ब्रह्मदेव सिंह के अनुसार भैरवस्थान आ झंझारपुरक पुलिस नाकेबंदी कय तलाशी अभियान शुरू केलक अछि। ओतहि सदर डीएसपी कुमार इंद्र प्रकाश गोली चलेबाक बात सं इंकार केलनि। ओ कहलनि जे, अपराधीक पहिचान आ गिरफ्तारीक लेल छापेमारी जारी अछि।