दिल्ली नगर निगम चुनावक लेल मतदान शुरू

    0
    243

    दिल्ली, मिथिला मिरर: सुरक्षा व्यवस्थाक बीच दिल्लीक तीनू नगर निगमकें 270 सीटक लेल आए भोरे आठ बजे सं मतदान शुरू भए चुकल अछि। मतदान साँझ 5:30 बजे तक होएत। अहि बेर एमसीडी चुनावमे कुल 2537 उम्मीदवार अपन किस्मत आज़मा रहल अछि, जाहिमे सं सब सं अधिक 1004 उम्मीदवार उत्तरी एमसीडीमे अछि। अहिकेँ बाद दक्षिणी एमसीडीमे 985 आ पूर्वी एमसीडीमे 548 उम्मीदवार मैदानमे अछि।

    दिल्‍लीक मतदाता उत्‍साहित अछि, यैह कारण अछि जे, उत्तरी, दक्षिणी व पूर्वी नगर निगममे चुनावक मद्देनजर बूथक बाहर लंबा कतार देखबाक भेटि रहल अछि। अहि बाबात राज्य चुनाव आयोग अपन तैयारी पूरा कय लेलक अछि। अहि बेर कुल 13141 पोलिंग स्टेशन बनाओल गेल अछि। जाहिमे 799 संवेदनशील आ 208 अतिसंवेदनशील मतदान केंद्र अछि। अहिकेँ मद्देनजरि सुरक्षाक सेहो पूरा तैयारी कएल गेल अछि।