लनामिविविमे शहीद सूरज नारायण चेयरक स्थापनाकें प्रस्ताव पारित

    0
    288

    दरभंगा, मिथिला मिरर: महाराणा प्रताप महाविद्यालय परिसरमे शुक्रदिन शहीद सूरज नारायण सिंह विचार मंच दिस सं एकटा संकल्प सभाक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता कए रहल विचार मंचक अध्यक्ष डॉ. अशोक कुमार सिंह सभाकें संबोधित करैत कहलनि जे, आजुक दौरमे सूरज बाबूक प्रासंगिकता बरकरार अछि। किसान आ मजदूरक हककें लड़ाईकें कारण हुनकर हत्या कए देल गेल छल।

    ओ कहलनि जे, मजदूर आ किसानक हितमे एखन धरि कोनो कल्याणकारी योजना नहि बनाओल जाएत, ता धरि हुनकर सही मायनेमे श्रद्धांजली नहि देल जा सकैत अछि। सभामे सर्वसम्मति सँ हुनकर नाम सं लनामिविविमे चेयरक स्थापना करबाक प्रस्ताव पारित कएल गेल। संगहि हुनकर नाम पर शहीद सूरज नारायण सिंह सामाजिक शोध संस्थानक स्थापना लनामविवि परिसरमे तथा जिला समाहरणालय परिसरमे हुनकर प्रतिमा लगेबाक बात कहल गेल।

    ओतहि डॉ. धर्मशीला गुप्ता कहलनि जे, सूरज बाबूक जीवनी पाठ्यक्रमे एबाक चाही। पूर्व पार्षद अशोक साह कहलनि जे, सरकारकें सूरज बाबू सम्मानमे प्रत्येक जिलामे सरकारी कार्यक्रम आयोजित करेबाक चाही।