अनिश्चितकालीन भूख हड़ताल शुरू केलक होमगार्डक जवान

    0
    401

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार रक्षा वाहिनी स्वयंसेवक संघकें आह्वान पर होमगार्ड जवानक जारी धरना-प्रदर्शनके समर्थनमे जवान शुक्रदिन अनिश्चितकालीन भूख हड़ताल शुरू कए देलक। जिला समादेष्टा कार्यालयके समक्ष संघके किशोर यादव आ राम स्वार्थ महतो लंबित मांगक समर्थनमे भूख हड़ताल पर बैसलाह। मौका पर आयोजित सभाकें जिलाध्यक्ष विष्णुदेव सिंह यादव संबोधित करैत कहलनि जे, सर्वोच्च न्यायालय एवं उच्च न्यायालयके फैसलाक मुताबिक होमगार्ड जवानकें बिहार पुलिस जेना सरकार वेतन आ अन्य सुविधा नहि दए रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, जा धरि मांग पूरा नहि होएत ता धरि जवान अनिश्चितकालीन धरना प्रदर्शन आ भूख हड़ताल जारी राखत। ओ कहलनि जे, यदि मांगक पूर्ति नहि होएत त 27 अप्रैल कए केंद्रीय समितिक बैसकमे उग्र आंदोलन करबाक निर्णय लेल जाएत। मौका पर बहुतो वक्ता हड़ताली होमगार्डसकें ड्यूटी सं वंचित करबा आ प्रताड़ित करय वला आदेशक विरोध केलनि।

    सभाकें दारोगा प्रसाद राय, रामविलास यादव, जय किशोर यादव, रामस्वार्थ महतो, बैद्यनाथ सिंह, सुरेश यादव सहित बहुतो लोक संबोधित किया केलनि।