थानाकें आधुनिकी करणक दिशामे एकटा नीक पहल

    0
    309

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक विभिन्न थानाकेँ हाइटेक बनेबाक दिशामे एकटा नीक पहल कएल जा रहल अछि। थानाकेँ अधुनिकीकरणक लेल कंप्यूटर सं लैस करबाक योजना चंद दिनमे धरातल पर उतरय वला अछि। जिला पुलिस प्रशासनकें 38 कंप्यूटर एवं अहि सं जुड़ल अन्य उपकरणक खेप प्राप्त भए गेल अछि। आब अहि कंप्यूटरकें जिलाक विभिन्न थानामे आपूर्ति कय देल जाएत। थानाकेँ कंप्यूटर आपूर्ति कय देलाक बाद कंप्यूटर संचालित करबाक लेल मानव संसाधनक सेहो व्यवस्था कएल जाएत।

    ओतहि चरणबद्ध तरीका सं थानाकेँ जेनरेटरक सेहो आपूर्ति करबाक योजना अछि। पुलिस अधीक्षक दीपक बरनवाल कहलनि जे, थानाक लेल कंप्यूटरक आपूर्ति भए गेल अछि। एक सप्ताहमे थानाकेँ कंप्यूटर उपलब्ध करा देल जाएत। ओ कहलनि जे, चरणबद्ध तरीका सं थानाकेँ जेनरेटर सेहो उपलब्ध करेबाक योजना अछि।

    ज्ञात हो कि जिलामे थानाक कुल संख्या 34 अछि। अहिमे एकटा महिला थाना तथा एकटा अनुसूचित जाति-जनजाति थाना शामिल अछि। अहिकेँ अलावा जिलामे पांचटा ओपी सेहो अछि। हालांकि जिलामे एक्को टा यातायात थाना नहि अछि। जहनकि यातायात थानाक आवश्यकता मधुबनीमे अधिक अछि।

    जिलामे साइबर थानाक सेहो अभाव अछि। जहनकि साइबर अपराधकें बढ़ैत घटनाक मद्देनजर साइबर थानाक आवश्यकता अछि। ओतहि मधुबनीमे तकनीकी सुरक्षाक लेल प्रमुख स्थान पर सीसीटीवी लगेबाक योजना सेहो एखन धरि धरातल पर नहि उतरल अछि।