वकीलक सुरक्षाकें लेल सख्त कानूनक मांग

    0
    330

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जिला अधिवक्ता संघक द्वारा पांच सूत्री मांगक लेल समाहरणालयकें समक्ष संघक महासचिव विजय नाथ मिश्रक नेतृत्वमे रैली निकालिकय प्रदर्शन कएल गेल। अहि दौरान अधिवक्ता सब लॉ कमीशनके प्रतिवेदन सेहो जरेलनि। इस दौरान महासचिव लॉ कमीशनके प्रतिवेदनमे अधिवक्ताक विरुद्ध प्रस्तावित संशोधनके विषयमे अधिवक्ताकेँ विस्तार पूर्वक जानकारी देलनि।

    अहि अवसर पर संघक सदस्य द्वारा समाहरणालय मुख्य द्वारि पर लॉ कमीशनक प्रतिवेदन जराओल गेल। अधिवक्ता जिला पदाधिकारी द्वारा मांग पत्र नहि लेबा एवं पिछला 6 महिना सं न्याय नहि करबाक घोर निंदा प्रस्ताव पारित केलनि।

    संघक मुख्य मंगमे लॉ कमीशनक प्रतिवेदनकें खारिज करबाक मांग मुख्य अछि। अहिकेँ अलावा लॉ कमीशनक चैयरमेनकें पद सं इस्तीफा, वरीयतम अधिवक्ताकें लॉ कमीशनक चैयरमेन नियुक्त, अवकाश प्राप्त न्यायाधीशकें कोनो पद पर नियुक्त नहि कएल जाए, वकीलक सुरक्षा हेतु कानून बनाकय पेशन योजना, चिकित्सा सुविधा, बीमाक व्यवस्था करबा एवं पारिवारिक पेंशन एवं युवा अधिवक्ताकें स्टाईपेन देबाक व्यस्था मांगमे शामिल अछि।