लगातार 10 दिनसँ भीषण जामसँ जूझि रहल अछि भागलपुर

0
501

भागलपुर, मिथिला मिरर : विक्रमशिला सेतु पर दस दिनसँ जाम खत्म होयबाक नाम नै रहल अछि।  सेतु पर जाम लगलासँ शहरमे जहाँ-तहाँ ट्रक दिन भरि ठाढ़ रहल अछि। जिलाक हुक्मरान एहि गंभीर समस्यासँ शहरवासि लोकनिकेँ निजात दियेबामे नाकाम साबित भ’ रहल अछि। हालांकि भागलपुर पुलिस अपन नव ट्रैफिक प्लानकेँ बाद दावा क’ रहल छथि जाम नै लागत, मुदा शहरकेँ अंदर आ विक्रमशिला पुल पर लागल जामकेँ हटबैमे पुलिसकर्मी पूर्ण तरहेँ नाकाम साबित भ’ रहल अछि।

सोमदिन देर रातिसँ ल’ मंगलदिन दुपहर दू बजे धरि विक्रमशिला पुल पर जाम रहल। सैकड़ों यात्री बारिशमे पैदल पुल पार करबाक लेल मजबूर छथि। स्कूली बससँ ल’ एंबुलेंस, सवारी गाड़ी आ निजी गाड़ी पर सवार यात्रि सभकेँ भूख-प्याससँ बुरा हाल छल। पूर्णियासँ 6.30 बजे खुलल बस 12 बजेकेँ करीब भागलपुर पहुंच रहल अछि। कुर्सेलासँ आठ बजे भागलपुरकेँ लेल चलल यात्री विनोद सिंह बतौलनी जे बस पर बैसल चारी घंटा भ’ गेल मुदा जामसँ निकलि नहि पाबि रहल छी। भागलपुरसँ नवगछिया, कुर्सेला, पूर्णिया, मधेपुरा आबय जाय वला यात्रीसभ घंटों भागलपुर जीरोमाइल पर फसल छथि।

फरक्का पुल बंद भेला पर महाजाम, 36 घंटासँ फसल अछि 50 हजार ट्रक
फरक्का पुल बंद भेलाक बाद बांकाकेँ बौंसीसँ कटिहारक कुरसेला तक सड़क पर ट्रकक दबाव अधिक बढ़ी गेल अछि। पहिने  हर दिन 24 हजार ट्रक अबैत छल, मुदा आब 52 हजारसँ बेसी ट्रक आबि रहल अछि। जाहि कारण 36 घंटासँ लगभग 50 हजार ट्रक ठाढ़ अछि। ट्रक चालक सभ बतौलनी जे झारखंडसँ बाँका सीमामे पहुँचलाक बादसँ गाड़ी रेंग रहल अछि। नो इंट्री खुलबासँ पुनः लगबा तक बमुश्किल पाँचसँ 10 किलोमीटर धरि आगा बढ़ी पबैत अछि। नो इंट्री प्वाइंट पर ठाढ़ ट्रक चालक कहलनि जे बाँका सीमामे प्रवेश करबाक बाद जगदीशपुर सीमा तक पहुँचबामे पाँच दिन लागी गेल। ट्रक चालक सभ कुनो तरहें जगदीशपुर सीमामे प्रवेश क’ भागलपुर शहर आ विक्रमशिला पुल पार करय चाहैत छथि।