ट्रेन यात्रीक बैग भेलनि चोरी

0
518

दरभंगा, संवाददाता : संदीप यूनिवर्सिटीमे सहायक प्राध्यापक पद पर कार्यरत पप्पू सूर्यवंशी जे मूल रूपसँ छत्तीसगढ़क विलासपुर जिलाक निवासी छैथ। 15 दिसम्बर, शनिदिन पवन एक्सप्रेस ट्रेनसँ वाराणसीसँ दरभंगा जेबाक क्रममे हुनक बैग चोरी भ’ गेलनि। ओहि बैगमे हुनक सभटा शैक्षणिक प्रमाण पत्र जेना दसवीं, बारहवी, स्नातक, स्नाकोत्तर, बी.एड, एम.एड., यूजीसी सहित नेट आ विभिन्न तरहक ओरिजिनल सर्टिफिकेटक छलनि। बैग चोरीक संबंधमे रेलवे पुलिस, दरभंगामे लिखित शिकायत दर्ज कराओल गेल अछि। संबंधित बैगक कोनो प्रकारक सूचना रेलवे पुलिस दरभंगा या एहि पता पर देल जा सकैत अछि

ग्राम-रमतला, पोस्ट-सेंहरी थाना- कोनी जिला- विलासपुर छत्तीसगढ़

संपर्क सूत्र: 9340503117, 7067955025, 7392833092

सूचना देनहार व्यक्तिकेँ उचित इनाम सेहो देल जायत।