2020 धरि कालाजार आ 2025 तक टीबी मुक्त होयत बिहार

0
360

पटना, मिथिला मिरर : 2020 धरि कालाजार आ 2025 तक टीबी सन खतरनाक बीमारीकेँ समूल रुपें समाप्त करबाक लक्ष्य ध्यानमे रखैत एहि दिशामे बिहार सरकार काज क’ रहल अछि। ई बात उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आ स्वास्थ्य मंत्री मंगल पांडेय कहलनि अछि। दुनू गोटे अपन अमेरिका यात्राक सातम दिन एटलांटा शहरमे स्वयंसेवी संस्था केयर इंडिया आ संक्रमण बीमारिक अध्ययन लेल विश्वक सभसँ पैघ संस्था सेंटर फॉर डिजीज कंट्रोलक अंतरराष्ट्रीय मुख्यालयमे अधिकारि सभकेँ संबोधित करैत कहलाह। सुशील मोदी समय सीमामे कालाजार आ टीबीसँ बिहारकेँ मुक्त करबाक संकल्प व्यक्त केलनि। मोदी बतौलनी जे कालाजारकेँ मरीजक संख्या 2010 मे 23084 छल, जे आब अक्टूबर 2018 तक घटी क’ 3012 रहि गेल अछि आ एहिसँ 21 प्रखंड प्रभावित अछि।

एहिसँ सारण प्रमंडलक तीनटा जिलाक 21 प्रखंड कालाजारसँ सर्वाधिक प्रभावित अछि। राज्य सरकार सालमे दू बेर दवाईकेँ छिड़काव क’ रहल अछि। हरेक मरीजकेँ मुफ्त दवाईकेँ अतिरिक्त 7100 रुपैयाक सहायता देल जायत अछि। मालूम होयत जे भारतमे कालाजारकेँ मरीजमे 80.90 प्रतिशत बिहारक 29 प्रखंडमे सीमित अछि। बिहारसँ कालाजारक समाप्तिक अर्थ होयत विश्वसँ कालाजारक उन्मूलन। सुशील मोदी बतौलनी जे दू साल पूर्व मुजफ्फरपुरमे एनसेफेलाइटिस जेहन संभावित  बीमारीसँ बहुत बेसी संख्यामे बच्चाकेँ मृत्युक बाद अमेरिकासँ सीडीसीक टीम बिहार आयल छल। सीडीसीकेँ सहयोगसँ भारतमे नेशनल डिजीज कंट्रोल सेंटरक पहल पर बिहार सरकार नालंदा मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल परिसरमे दू एकड़ जमीन उपलब्ध करेलक अछि। सरकार द्वारा जँ एहन तरहक प्रयास धरातल पर क्रियान्वयन भ’ जायत त’ निश्चित रुपें इ दुनु बीमारीसँ निजात भेट सकैत अछि।