पोलक जगह बाँससँ बिजलीक आपूर्ति, कखनो भ’ सकैत अछि पैघ हादसा

0
447

दरभंगा, मिथिला मिरर : जहाँ एक दिश केंद्र आ राज्य सरकार हर घर बिजली पहुँचेबाक दावा क’ अपन पीठ थपथपाबैमे लागल अछि, ओतहि दोसर तरफ हकीकत एहिसँ कोसों दूर अछि। मामला दरभंगा जिलाक सिंघवार प्रखंडक सनहपुर पंचायतकेँ अछि। दरभंगा आ मुजफ्फरपुर जिलाक सीमा पर स्थित एहि पंचायतकेँ कतेकों वार्डमे अखनि धरि बिजलीक पोल आ तार नहि लगाओल गेल अछि। जाहि कारण दर्जनों उपभोक्ता सालोंसँ बाँस बल्लाक सहारे बिजलीक उपयोग क’ रहल छथि। हालाँकि एजेंसी द्वारा किछु वार्डमे नया पोल आ तार लगाओल गेल अछि, लेकिन एजेंसीक मनमानी आ लेटलतीफीकेँ चलते कतेको वार्डमे अखनि धरि काज अधूरा पड़ल अछि।

आई धरि बिजलीक पोल नहि लागल पोल 

वार्ड संख्या 11 केँ वार्ड सदस्य युगेश्वर ठाकुर, वार्ड 12 क रानी देवी, वार्ड दूकेँ विक्रम राम, विमला देवी, रामसती देवी, हीरालाल भगत, दयावती देवी समेत दर्जनों लोक सभ बतौलनी जे  पोल आ तार लगावय वाली एजेंसी काजके अधूरा छोड़ी  देलक अछि। वार्ड दूमेँ  सनहपुर बजारसँ बुद्धिगाछी स्कूल तक आई धरि बिजलीक पोल नहि लगाओल गेल अछि। पंचायत समिति सदस्य इंद्रजीत भगत बतौलनी जे वार्ड तीनमे पंचायतक सीमा पर बनल सड़कसँ पश्चिम मुजफ्फरपुर जिलाक कटरा प्रखंडक लखनपुर पंचायत अछि। सड़क किनारे ओहि पंचायतमे बिजलीक नवका पोल आ तार लगा देल गेल अछि, मुदा दोसर जिला होयबाक कारण सनहपुरक उपभोक्ताकेँ ओहि पोलसँ कनेक्शन लेबामे कागजी समस्या भ’ रहल अछि। संगही कहलाह जे एहि मुद्दाकेँ पंचायत समितिक बैठकमे कतेकोँ बेर उठाओल गेल मुदा कोनो तरहक समाधान नै निकलि सकल। स्थानीय विधायक जीवेश मिश्र आ बिजली विभागकेँ एहि समस्यासँ अवगत कराओल गेल अछि। बावजूद एकर अखनि धरि एहि गामक दर्जनों उपभोक्ता लोकनिक घर तक नवका पोल आ तार नहि लगाओल गेल अछि। सदिखन कोनो तरहक दुर्घटना घटित होयबाक संभावना बनल रहैत अछि।