जदयू जारी कएलक नवका चुनावी गीत, कदम-कदम बढ़ावा हो, विकास गीत गावा हो…

0
587

पटना, एमएम : बिहार मे विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक पार्टी सभ तैयारी शुरू क’ देलक अछि। पार्टी सभ अपना हिसाबे जनता तक संदेश पहुँचेबा लेल विभिन्न तरहक माध्यम अपना रहल अछि। एही दौर मे भला सत्तारूढ़ दल कोना पाछू रहत। ओही कड़ी में विधानसभा चुनाव केँ ल’ जदयू वीडियो आ स्लोगन जारी कएलक अछि। मंगलदिन राजधानी पटना मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक व्यक्तित्व, विज़न आ 15 साल केँ काम काज पर आधारित वीडियो जारी कएल गेल। ओतहि पार्टी एकटा गीत सेहो जारी किया कएलक। जदयू केँ नव गीत मगही भाषा मे अछि।  बतादी जे मुख्यमंत्री 7 सितंबर केँ वर्चुअल माध्यम सँ चुनावी बिगुल बजा चुकल छथि।

मगही भाषा मे गाओल गेल एही गीत मे बिहारक मुख्यमंत्री केँ विकास पुरुष बताओल गेल अछि। गीत केँ माध्यम सँ ई बतेबाक कोशिश कएल गेल अछि जे  पैछला 15 साल मे बिहार कतेक प्रगति केँ पथ पर बढ़ल। गीतक बोल अछि- ‘कदम कदम बढ़ावा हो, विकास गीत गावा हो, नीतीश जी के सपना के बिहार तू बनावा हो…

एही गीत जारी कएलाक बाद प्रदेश जदयू केँ मुख्य प्रवक्ता संजय सिंह कहलनि जे नीतीश कुमार पैछला 15 साल सँ शासन ओही रुपें क’ रहलाह अछि जेना कोनो गाछ केँ सिंच-सिंच क’ विशाल बरगद सन बनाओल जाइत अछि। तकरे परिणाम अछि जे बिहार निरंतर प्रगति केँ पथ पर अग्रसर अछि। जदयू प्रवक्ता अपन बयान मे कहलनि जे 15 साल मे जतेक वादा मुख्यमंत्री जनता सँ कएलनि ओ पूरा केलाह। मुख्यमंत्री जे कहैत छथि ओकर हर हाल मे पूरा करैत छथि। ओ अपन निश्चय सँ टस सँ मस नही होइत छथि। जहाँ तक बात अल्पसंख्यक, दलित, पिछड़ा , अतिपिछड़ा केँ अबैत अछि नीतीश कुमार हुनका सभक सुरक्षा आ सम्मान केँ वास्ते सभसँ आगू रहैत छथि। चाहे ओ दशरथ मांझी केँ सम्मानक बात होई वा जीतनराम मांझी केँ।

ओतहि मंगलदिन प्रधानमंत्री मोदी द्वारा कएल गेल विभिन्न तरहक परियोजना केँ शुरुआत पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सँ कहलनि जे बिहारक हरेक क्षेत्रक विकास मे अहाँक सहयोग भेटी रहल अछि। जाहि सँ बिहारक हरेक व्यक्ति केँ उत्थान होयत।  प्रधानमंत्री केँ आभार व्यक्त करैत मुख्यमंत्री कहलाह जे 24 घंटा पेयजल केँ आपूर्ति पर्यावरण केँ दृष्टिकोण सँ सही होयत वा नहि एही पर विचार कएल जेबाक चाही। बतादी जे आई प्रधानमंत्री 543 करोड़ टाका केँ लागत सँ बनल जलापूर्ति आ सीवर सँ जुड़ल परियोजना सभक उद्घाटन आ शिलान्यास कएने छलाह।