रघुवंश सिंह केँ अंतिम इच्छा पूर्ण क’ सार्थक श्रद्धांजलि देत बिहार सरकार : सुशील मोदी

0
439

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनाव केँ ल’ बयानबाजी शुरू अछि। रविदिन पूर्व केंद्रीय मंत्री आ प्रखर समाजवादी नेता डॉ रघुवंश प्रसाद सिंह केँ निधन भ’ गेलनि। आब बिहार मे हुनको ऊपर राजनीति शुरू भ’ चुकल अछि। बतादी जे रघुवंश बाबू अपन अंतिम समय मे राष्ट्रीय जनता दल सँ इस्तीफा द’ देने छलाह। एतबे नही तीन दिन पूर्व दिल्ली एम्स सँ एकटा चिठ्ठी लिख बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ अनुरोध केने छलाह जाहि मे वैशाली केँ विकास सँ जुड़ल किछु काजक विवरण छल।

प्रधानमंत्री स्वयं रविदिन एकटा उद्घाटन सामरोह केँ दौरान नीतीश कुमार सँ आग्रह केने छलाह जे रघुवंश बाबू केँ चिठ्ठी मे लिखल काज केँ लेल उचित प्रयास कएल जाए। आब बिहारक उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलनि अछि जे सरकार रघुवंश प्रसाद सिंह केँ  अंतिम इच्छा पूर्ण क’ सार्थक श्रद्धांजलि देत। मोदी कहलनि ओ अपन सपना हमरा सभके द’ क’ गेलाह अछि, ओही सपना केँ साकार कएल जायत। रघुवंश बाबू केँ श्रधांजलि दैत कहलाह जे ओ वैशाली केँ गौरव, लोकतंत्रक गरिमा, किसान आ गरीब मजदूर लोकनिक हितैषी छलाह। हुनका हरदम गरीबक पेट कोना चलय तकर चिंता रहैत छल। आखिरी समय धरि जिनका संग छलाह मुदा एहन किछु संयोग बनल जे हुनका चिठ्ठी लिख माँफी मंगैत पार्टी छोड़ी देलनि। अंतिम समय मे राज्यक एनडीए सरकार पर भरोसा जतबैत चिठ्ठी मे जाहि काजक बारे मे लिखल गेल अछि राज्य सरकार ओकरा पूर्ण करत।

सुशील मोदी राजद आ कांग्रेस पर तंज कसैत कहलाह जाहि पार्टी लेल वो जीवन खपा देलाह अंतिम समय मे ओही पार्टी केँ लोक हुनका अपमानित कएलथि। सवर्ण आरक्षण पर सेहो हुनक राय केँ नजरंदाज कएल गेल। एतबे नहि अंतिम समय मे पार्टी 32 बरखक त्याग के सेहो बिसरा गेल। जनतब होयत जे तेज प्रताप कहने छल जे समुद्र सँ एक लोटा पानि निकाली लेला सँ कोनो फर्क नै पड़ैत अछि। रघुवंश केँ नाराजगी दूर करबा लेल लालू यादव स्वंय सेहो प्रयास केने छलाह मुदा विधि केँ लेल किछु आओर लिखल छल ओ अपन वचन पर कायम रहैत एहि भौतिक दुनियाँ के अलविदा कहि गेलाह।