नहि थमि रहल अछि जदयू आ लोजपा केँ बीचक लड़ाई, प्रधानमंत्री केँ चिराग लिखलनि चिट्ठी

0
530

दिल्ली/पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे विधानसभा चुनाव प्रस्तावित अछि। चुनाव आयोग सेहो जल्दिए चुनावक तारीख केँ ऐलान क’ सकैत अछि। राजनीतिक दल चुनावी तैयारी मे लागि गेल अछि। बिहार मे दूटा प्रमुख गठबंधन अछि। महागठबंधन मे सीट बँटवारा केँ ल’ उहापोह केँ स्थिति मे अछि। छोट राजनीतिक दलक पैघ इच्छा छनि। जाहि ल’ सीट बँटवारा मे दिक्कत आबि रहल छैक। एम्हर एनडीए मे सेहो उलझन कम नै छैक। लोजपा आ जदयू के बीच रार अखनि धरि खत्म होइत नजरि नै आबि रहल अछि। हालाँकि पैछला दू दिन पूर्व  बिहार दौरा पर आयल भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा एनडीए मे सभटा ठीक अछि एकर संकेत देने छलाह। मुदा हालात किछु आओर बयाँ क’ रहल अछि।

आब लोजपा अध्यक्ष चिराग पासवान बिहार केँ सियासी हालात पर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ एकटा चिट्ठी लिखलनि अछि। चिराग एहन समय मे चिठ्ठी लिखलाह अछि जखन भाजपा बिहार मे सीट बँटवारा केँ ल’ बातचीत क’ रहल अछि।  जनतब दी जे शनिदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा केँ बीच भेंटवार्ता भेल छलनि। तकरा बाद चिराग किछु नरमी केँ संकेत दैत सभ किछु सही हेबाक संभावना जतौने छलाह। मुदा अचानक प्रधानमंत्री केँ चिठ्ठी लिख मामला केँ तूल द’ देलाह अछि। ओतहि लोजपा 16 सितंबर केँ अपन सभ सांसद संग बैसार क’ अंतिम निर्णय लेबाक संकेत देलनि अछि।

बतादी जे चिराग केँ हुनक पिता आ केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान केँ समर्थन प्राप्त छनि आ ओ हुनका संग हरेक फैसला मे ठाढ़ छथि। आब देखबाक बात ई छैक जे प्रधानमंत्री केँ लिखल गेल चिठ्ठी केँ बाद दुनू दलक बीच सहमति बनैत अछि वा नहि। प्रधानमंत्री केँ लिखल गेल चिठ्ठी पर जदयू केँ तरफ सँ कोनो प्रतिक्रिया अखनि धरि नै आयल अछि।