महागठबंधन के प्रेस कॉन्फ्रेंस मे अशोक चौधरी’क बयानक बाद घमासान

    0
    262

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना मे आयोजित महागठबंधन के संयुक्त प्रेस कांफ्रेस मे कांग्रेस के प्रदेश अध्यक्ष सह बिहार के शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी’क बयानक बाद अजीबोगरीब स्थिति उत्पन्न भय गेल। मीडिया मे चलि रहल खबर के अनुसार प्रधानमंत्री उमीदवारी के लय क अशोक चौधरी पत्रकार सं कहलनि जे, 2019 मे होबय बला लोकसभा चुनावक लेल राहुल गांधी हमार उमीदवार रहता।

    चौधरीक अहि बयानक बाद जदयू प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह अशोक चौधरी’क बात काटैत कहलनि जे, 2019 के फैसला एखन नहि भय सकैत अछि। ओतहि राजद के प्रदेश अध्यक्ष रामचंद्र पूर्वे कहलनि जे, प्रधानमंत्री के फैसला एखन संभव नहि।

    ज्ञात हो कि पूर्व निर्धारित प्रेस कांफ्रेंस’क तहत आय महागठबंधन अप्पन एकता देखेबाक लेल बिहार राजद कार्यालय पटना मे संवादाता सम्मलेनक आयोजित केने छल। जाहि मे कांग्रेस प्रदेश अध्यक्ष अशोक चौधरी, राजद के प्रदेश अध्यक्ष रामचंद्र पूर्वे तथा जदयू के प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह मौजूद छलाह।