पत्रकार राजदेव रंजनक पत्नी के जान सं मारबाक धमकी

    0
    483

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक बहुचर्चित पत्रकार राजदेव रंजन हत्याकांड मे आब अज्ञात अपराधी द्वारा राजदेव रंजनक पत्नीक जान सं मारबाक धमकी दय रहल अछि। जानकारी के अनुसार 26 दिसंबर के राति आशा रंजन के एकटा कॉल एलनि, जाहि मे अज्ञात शख्स अपना के शहाबुद्दीनक आदमी बतौलक आ केस वापस लेबाक धमकी देलक। फोन करय वला आशा के केस वापस नहि लेबा पर जान सं मारबाक आ टुकड़ा-टुकड़ा करबाक धमकी देलक।

    मामलाक लय आशा रंजन पुलिस स शिकायत केलनि अछि। मालूम हो कि सीवान मे भेल अहि मर्डर के बाद फिलहाल सर्वोच्च न्यायालय मे अहि केसक सुनवाई भय रहल अछि। आगामी 17 जनवरी क अहि मामला मे अगिला सुनवाई हेबाक अछि। मामला मे आरोपी बनाओल गेल बाहुबली नेता शहाबुद्दीन फिलहाल दिल्लीक तिहाड़ जेल मे बंद अछि।