रंगदारी नहि देला पर मुजफ्फरपुर मे ईंटा भट्ठा के बम सं उड़ेलक नक्सली

    0
    274
    घटना सरैया थाना क्षेत्रक मरवापाकर गामक अछि। जतय नक्सली गैस सिलेंडर बम लगा कय ईंटा भट्ठा के उड़ा देलक अछि। भट्ठाक मुंशी के बंधक बना कय नक्सली चिमनी के उड़ेलक अछि। करीब दर्जन भरिक संख्या मे आयल हथियारबंद नक्सली अहि घटनाक अंजाम देलक अछि। घटनाक बाद पुलिस घटना स्थल पर पहुंच कय घटनाक छानबीन कय रहल अछि।

    नक्सली चिमनी के 2 टा सिलिंडर बम लगाकय उड़ेलक अछि। चिमनी सुंदरम ब्रिक्स टुनटुन सिंहक अछि। घटनाक बाद क्षेत्र मे दहशतक माहौल अछि। ओतहि, पुलिस इलाका मे छापेमारी कय रहल अछि।