मुजफ्फरपुरमे नगर आयुक्त’क पुतला जराओल गेल

    0
    286

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: नगर निगममे व्याप्त भ्रष्टाचार एवं सरकारी राशिक बंदरबांटकें खिलाफ युवा कांग्रेस रविदिन सिकंदरपुर नाका चौक पर नगर आयुक्त रमेश प्रसाद रंजनक पुतला जरेलक। अहिकें बाद नुक्कड़ सभाक संबोधित करैत मुजफ्फरपुर लोकसभा युवा कांग्रेसक सचिव शिवेंद्र झा कहलनि जे, नगर निगम भ्रष्टाचारक अड्डा बनि गेल अछि। नगर आयुक्तक नेतृत्वमे जनताकें मेहनतक कमाई लूटल जा रहल अछि। शहरक विकासकें लेल सरकार सं भेटल राशिक बंदरबांट कएल जा रहल अछि।

    जनता सं निगम कर लय ओकर अप व्यय कएल जा रहल अछि। निगममे चलि रहल लूटक खेलकें सरकार एवं प्रशासन आँखि बंद कय देखि रहल अछि। शहरके विद्युत पोल पर लगाओल गेल नंबर प्लेटक कीमत महज 60 रुपैया आचि, जहन कि निगम द्वारा प्रति प्लेट 600 रुपैयाक भुगतान कएल गेल अछि। शहरमे पांच हजार सं अधिक पोल अछि, जाहि पर नंबर प्लेट लगाओल गेल अछि।

    अहि प्रकार प्लेटक नाम पर लाखो रुपैयाक गबन कएल गेल अछि। एलइडी वेपर लाइट हो या अन्य उपकरणक खरीदारीमे राशिक बंदरबांट भेल अछि। बाजार कीमत सं अधिक दर पर उपकरणक खरीद कएल गेल अछि।