निर्माणाधीन पुलमे दरार, ग्रामीण कएलथि उग्र प्रदर्शन

    0
    389

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर : बथनाहा प्रखंड अंतर्गत सहियारा गामक नजदीक  सहियारा बाजार-बदूरी अमघट्टा पथमे सोरम नदीक़ ऊपर निर्माणाधीन पुलक पायामे दरारि एलापर ग्रामीण आक्रोशित भेलाह आ भोरे भोर  पुलपर आवागमन बाधित क’ प्रदर्शन करय लगलाह। गामक लोक सभ ठीकेदार पर सड़क निर्माणमे अनियमितता बरतबाक आरोप लगौलनि संगहि ठीकेदारक विरुद्ध जमि क’ नारेबाजी केलाह। ग्रामीण सभ एहि बातक जानकारी सांसद आ बीडीओके दइत जाँच करेबाक आ कार्रवाई केर मांग सेहो कएलनि। सूचनाक बाद मौका पर थानाध्यक्ष संजीव कुमार पहुँचलाह आ कार्रवाईक आश्वासन द’ ग्रामीण सभके शांत करबैत जाम समाप्त करेलाह। ग्रामीण सभ घटिया  निर्माण सामग्रीक उपयोग पर आक्रोश जतौलनि । ठीकेदार पर आरोप लगबैत कहलाह जे  गिट्टी केर जगह पर ईंटक गिट्टी आ 12 एमएम लोहाक छड़केँ जगह 8 एमएम छड़ तहिना बालूक जगहपर ओहि नदी कातक बालूकेँ प्रयोग केलक अछि। ग्रामीण सभ घटिया सामग्रीक उपयोगक  विरोध केलक मुदा ठीकेदार उलटे ग्रामीण सभकेँ  झुठक मुकदमामे फसेबाक धमकी दैत छल। स्थानीय लोक सभक शिकायत पर विभागीय अभियंता जांच कएने छलाह आ मानकक अनुरूप मेटेरियल उपयोग करबाक हिदायत देने छलाह। मुदा ठीकेदार इंजिनियरक निर्देशकेँ  दरकिनार करैत मनमाना ढंगसँ निर्माण कार्य जारी रखालाह। ग्रामीण सभ ठीकेदारकेँ चेतावनी दैत कहलथि जँ अहाँ गुणवत्तापूर्ण काज नै करब त’ काज बाधित क’ हमरा लोकनि अनिश्चितकालीन धरना  देब मुदा ठीकेदारक कान पर जू तक नै रेंगल। जनतब दी जे ग्रामीण सभक अथक प्रयास आ स्थानीय सांसदक अनुशंसा पर सोरम नदीक ऊपर 02 करोड़ 07 लाख 66 हजार राशि  पुलक निर्माण लेल स्वीकृति कएल गेल अछि  जे सहियारा बाजारसँ  बदुरी अमघट्टा गामके जोड़य वाली सड़क अछि। अक्टूबर 2017मे शिलान्यासक बाद मार्च 2018मे पुल निर्माणक काज शुरू भेल। एक त’ पुल बनेबाक गति मंद अछि आ दोसर बनेबामे घटिया सामग्रीक उपयोग कएल जा रहल अछि।  परिणामस्वरूप पुलक पायामे  दरारि आबि गेल अछि। स्थानीय प्रसाशन मामलाकेँ गंभीरतासँ लइत जाँचक बात कहलक अछि।