प्रलोभन दय क बिहार मे कराओल जा रहल अछि धर्मपरिवर्तन: भाजपा सांसद

    0
    281

    मिथिला मिरर: भाजपा के राज्यसभा सांसद गोपाल नारायण सिंह धर्मातंरण पर विवादास्पद बयान दैत कहलनि जे, ईसाई समुदाय के लोक प्रलोभन दय क हिन्दूक घर्मांतरण करवा रहल अछि। गाम-गाम धरि ईसाई समुदायक सक्रियता काफी अधिक बढ़ि गेल अछि राज्य सरकार वोटक राजनीतिक खातिर मौन।

    ओ आरोप लगौलनि जे साजिशक तहत ईसाई समुच्चा बिहार मे सब स अधिक सक्रिय अछि। हरेक प्रखंड मे जमीन खरीद रहल अछि आ गिरिजाघर बना रहल अछि। गोपाल नारायण सिंह राज्य सरकार पर फेल हेबाक आरोप लगबैत कहलनि जे, राज्य सरकार के फेल हेबाक कारने राज्य मे बहुसंख्यक समाज आब असुरक्षित महसूस कय रहल अछि।

    गोपाल नारायण सिंह कहलनि जे, यदि राज्य सरकार बक्सर के चौगाई मे कार्रवाई नहि करैत अछि त बड़का आंदोलन होयत, जाहि लेल राज्य सरकार जिम्मेदार रहत।