मुजफ्फरपुरक घटना: चुप्पी तोड़लाह नीतीश, पत्रकार संग मंजू वर्माक बकझक

    0
    311

    पटना, मिथिला मिरर : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मुजफ्फरपुर बालिका गृह यौनशोषण मामला पर अपन चुप्पी तोड़ैत कहलाह जे मुज़फ्फरपुरक घटनासँ हम शर्मसार छी, हमरा आत्मग्लानि होइत अछि। हम त’ चाहैत छी जे सीबीआई जांच उच्च न्यायालयक  निगरानीमे होय। एहि मामलामे जे दोषी हेताह हुनका माफ़ नै कएल जायत। मुख्यमंत्री कहलाह जे एहि घटना पर समाज कल्याण विभागक सिस्टममे सुधार करब अत्यंत जरूरी भ’ गेल अछि। सिस्टमके देखबाक चाही जे कोना एहि तरहक लोक सिस्टममे आबि जाइत अछि? इ घृणित घटना थिक। मुख्य सचिव एहि घटना पर नजरि बनौने छथि आ एक-एक चीज़के स्वंय देखि रहल छथि। एहि मामला पर बात करयमे लाज लागि रहल अछि, एहि घटनासँ बिहार बदनाम भ’ रहल अछि।  प्रेस सँ मुखातिब होइत मुख्यमंत्री बजलाह जे हम बिहारवासीकेँ आश्वस्त करैत छी, किनको चिंता करबाक जरुरत नै अछि। दोषीपर सख्त कार्रवाई कएल जायत आ दोषीकेँ माफ़ नै कएल जायत। हमरा मनमे बहुत पीड़ा अछि, जे एहन पाप केलथि अछि हुनका बख्शल नै जायत संगहि एहि मामलाकेँ हम अपने देख-रेख करब। मुख्यमंत्री पटनामे कन्या उत्थान योजनाक शुभारंभ करबाक बाद पहली बेर एहि मामला पर अपन बात रखलाह।

    पत्रकार पर भड़कि उठलीह समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा

    समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा, पति केर  नाम मुजफ्फरपुर बालिका गृह मामलामे  अयला पर पत्रकार द्वारा  पूछल सवालसँ नजरि बचबैत देखल गेलीह। हालांकि जखन पत्रकार सभ दुबारा सवाल पुछलक त’ समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा भड़कि उठलीह संगहि कहलीह जे हमरा एहि मामला पर जे कहबाक छल पहिने कहि देलौ। मामलाक जांच चलि रहल अछि, हमरा किछु नै कहबाक अछि। तकरा बाद ओ पत्रकारक कुनो सवालक जबाब नै देलथि। एहि दौरान हुनक सुरक्षाकर्मी लोकनि पत्रकार सभक संग धक्का-मुक्की सेहो केलक। समाज कल्याण मंत्री राजधानी स्थित अधिवेशन भवनमे आयोजित कार्यक्रममे शामिल होयबाक लेल आयल छलीह।