जनवरीसँ शुरू भ’ सकैत अछि दरभंगासँ हवाई सेवा

0
339

दरभंगा,मिथिला मिरर: जँ सभकिछु ठीक-ठाक रहल तँ  मिथिलावासी आगामी जनवरी 2019सँ दरभंगा हवाईअड्डासँ हवाई सेवाक लाभ उठा सकैत छथि।  एहन संभावना दरभंगाक जिलाधिकारी डॉ चंद्रशेखर सिंह जतौलनि अछि। आगामी नव सालक जनवरी मास मिथिलावासीक लेल एकटा नव सौगात ल’ आबि सकैत अछि। जनवरीसँ देशक तीनटा महानगर नई दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरुक लेल अंतरिम रुपे दरभंगासँ हवाई सेवा शुरू भ’ जायत एकर संभावना अछि। एहि लेल काज जोर-शोरसँ चलि रहल अछि। एयरपोर्ट ऑथोरिटी ऑफ इंडिया एहि वास्ते अपन स्वीकृति द’ देलक अछि। ई जानकारी जिला पदाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह देलाह। संगे  बतेलनि जे स्थायी तौर पर उड़ान भरवाक लेल जे बुनियादी चीजक आवश्यकता छैक , ओहि  दिशामे काज चलि रहल अछि। एहि मादे 31 एकड़ जमीनकेँ आवश्यकता छैक जेहि पर 42 करोड़ रुपैया खर्च होएत। करीब 15 दिन पहिने जमीन अधिग्रहणसँ संबंधित एकटा प्रस्ताव मंत्रिमंडल सचिवालयके पठाओल गेल छल। राशि स्वीकृत होइते जमीन अधिग्रहणक प्रक्रिया शुरू भ’ जायत। फिलहाल अंतरिम तौर पर उड़ान भरवाक दिशामे काज चलि रहल अछि। अखन तिथि निर्धारित नहि अछि मुदा इंडिगो विमान कंपनी परिचालनक स्वीकृति द’ देलक अछि।