27 मार्च कऽ एमएसयू मनाओत अपन पहिल स्थापना दिसव

    0
    325

    दिल्ली-मिथिला मिररः एमएसयू अर्थात मिथिला स्टूडेंट यूनियन आगामी 27 मार्च कऽ दिल्लीक आईटीओ स्थित राजेन्द्र भवन मे अपन पहिल स्थापना दिवस मनेवाक निर्णय लेलक अछि। अहि बातक जानकारी मिथिला मिरर कें संस्थाक संस्थापक सदस्य रौशन मैथिल देलनि। मिथिला मिरर सं बातचीत कैरत रौशन कहला जे जाहि तरहें हमरा सब सहर जमीन पर काज केलौह अछि ओकरा बाद जाहि तरहक जनसमर्थन हमरा लोकनि कें भेट रहल अछि ओहि सं हम सब बहुत बेसी उत्साहित छी।
    आ मिथिला सहित देशक प्रायः ओहि सब शहरमे अपन संस्थाक अंगक स्थापना हमरा लोकनिक पहिल लक्ष्य अहि जाहिठाम मैथिल बहुतायतक संख्यामे छथि। रौशन कहला जे संस्था लगातार मिथिलाक विभिन्न जिलाक प्रखंड आ पंचायत स्तर पर सक्रिय अछि आ समाज मे व्याप्त विभिन्न तहरक भय, भ्रष्टाचार आ विकास लेल अपन अवाज बुलंद करैत रहल अछि आ करैत रहत। एमएसयूक कार्यकर्ता मिथिलाक विभिन्न गांवक भ्रमण सेहो कय रहला अछि आ ओहिठामक स्थानीय जनता सं बातचीत कय जे मूलभूत समस्या छैक ओकरा प्रखरता सं उठा रहलाअ अछि।