हम बर्बाद भय जायब मुदा शराब बंदी स पाछु नहि हटब : नीतीश कुमार

    0
    271

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विधानसभा मे सोमदिन शराबबंदी पर नबका विधेयक पारित कायल गेल।नीतीश सरकार मे मंत्री जलील मस्तान अय विधेयक के सदन मे अनलाह जाहिमे संशोधन के लय क पक्ष-विपक्ष मे काफी बहस भेल। विधानसभा मे बहस के जबाब मे नीतीश कुमार एक बेर फेर अप्पन प्रतिक्रिया दैत कहलनि जे, हम बर्बाद भय जायब, नष्ट भय जायब मुदा शराबबंदी स पाछु नै हटब।

    नीतीश कुमार सदन मे भाजपा पर बिहार मे शराब के बढ़ावा देबाक आरोप लगाबैत कहलनि जे, झारखंडक सीमा पर शराब दोकानक संख्या मे इजाफा भय रहल अछि, जाहि के विरोध हम दिल्ली मे इंटर स्टेट काउंसिल मे सेहो आंकड़ाक संग विरोध केलहु। बावजूद एकर भाजपा पर कोनो असर नहि पड़ि रहल अछि।

    नीतीश अप्पन वक्तव्य में साफ़ कहलनि जे, विपक्ष कानून में संशोधन के विरोध कय रहल अछि, मुदा चारि महीना के अनुभवक बाद अहि मे सुधार कायल जा रहल अछि जे राज्यक लोक के हित मे अछि। ओ कहलनि जे, कानून में संशोधन कय एकरा और अधिक प्रभावशाली बनेबाक प्रयास कायल जा रहल अछि, ताकि पुलिस आ अधिकारी मनमानी नहि कय सकैथ।

    ज्ञात हो कि पहिने कानून मे गलती करय बला अधिकारी के तीन महीना सजाक प्रावधान छल, जे आब बढ़ा कय तीन साल कय देल गेल, जाहि पर विपक्ष हंगामा आ बहस के बाद सदन स वॉक आउट कय गेल।