चमकेबाक बहाने लाखोक जेवर लय फरार भेल ठग

    0
    319

    भागलपुर, मिथिला मिरर: विश्वविद्यालय थाना अंतर्गत नसरतखानी मोहल्ला मे बुधदिन दू गोट ठग जेवर चमकेबाक बहाने महिला स लाखोक रुपैया सं अधिक कीमत के आभूषण लय भागल। दूनू स्वयं के पतंजलि कंपनीक एजेंट बता रहल छल। पीड़ित महिला थाना मे रिपोर्ट दर्ज करौलक अछि। पुलिस मामलाक जांच कय रहल अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार भोर करीब 11 बजे दू गोट युवक पीयर रंगक मोटरसाइकिल सं नसरतखानी निवासी यशवंत कुमार सिंह के घर पहुंचल। दूनू बगैर अनुमति के घर मे प्रवेश करय लागल। ई देख यशवंत रोकबाक कोशिश केलक। जाहि के बाद दूनू कहलक जे, हम बाबा रामदेवक कंपनी पतंजलि के एजेंट छी आ अपने उत्पादक विज्ञापन करबाक लेल आयल छी। दूनू कहलक जे, हम जेवर आ बर्तन और जेवर चमकाबैत छी।

    अहि के बाद यशवंतक मकान मे किरायेदार के रूप मे रहय वला अमरजीत अग्रवालक पत्‍‌नी ज्योति अग्रवाल दूनू युवक के घरक अंदर बजा लेलक। अहि के बाद ज्योति चांदी समेत अन्य धातुक सामान साफ करबाक लेल देलक। अपना सामान साफ करेबाक बाद ज्योति मकान मालकिन निशा सिंह के बजा लेलक। अहि के बाद निशा अप्पन पांच भरि के सोनाक हार समेत अन्य कीमती जेवर साफ करबाक लेल देलक।

    सोनाक हार हाथ मे अबितहि दूनू युवक राखि लेलक आ बातचीत मे उलझाकय पाउडर स भरल पॉलीथिन दैत कहलक जे, एकरा पांच मिनट बाद खोलब, जेवर साफ भय जायत। अहि के बाद दूनू मोटरसाइकिल सं फरार भय गेल।