‘अखिल भारतीय मिथिला पार्टी’ द्वारा जंतर-मंतर पर श्रद्धांजलि सभाक आयोजन

    0
    417
    दिल्ली, मिथिला मिरर: ‘अखिल भारतीय मिथिला पार्टी’ दवारा रविदिन 03:30 बजे दिल्ली’क जंतर-मंतर पर हालहिमे छत्तीसगढ़केँ सुक्ममे शहीद भेल मिथिलाक तीनू लाल शहीद नरेश यादव, अभय कुमार आ रंजीत कुमारक संग-संग सब शहिद सैनिककें शहादत पर एकटा श्रद्धांजलि सभाक आयोजन कएल जा रहल अछि। सभाक उपरांत शहीदक आत्माक शान्तिक लेल केंडल मार्च निकालल जाएत।
    श्रद्धांजलि सभा आ कैंडल मार्चकें बाद पार्टी केंद्रीय गृहमंत्री आ मुख्यमंत्री छत्तीसगढ़कें पुतला दहन सेहो करत। पार्टीकें मानब अछि जे, छत्तीसगढ़केँ वर्तमान रमन सिंह सरकार आ केंद्रीय गृहमंत्री भारतीय सैनिककें सुरक्षा नहि दए पाबि रहल अछि, जाहि कारण दुनूकें अप्पन पद सं तत्काल इस्तीफा दए देबाक चाही।