स्कूलक जमीन पर अतिक्रमण करबाक आरोपमे दू गोटे गिरफ्तार

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर: लगातार 10 दिन तक राजकीय प्राथमिक विद्यालय बहेड़ा कन्यामे पठन-पाठनक काज ठप रहलाक बाद शुक्रदिन एसडीओ अमित कुमार द्वारा प्रतिनियुक्त कएल गेल दंडाधिकारी सह प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी उत्तम प्रसाद विद्यालय प्रांगणकें अतिक्रमण करए वलाके खिलाफ कार्रवाई केलनि। दंडाधिकारीक निर्देश पर पुलिस विद्यालय प्रांगणमे जबरदस्ती अतिक्रमण करए, विद्यालयके शिक्षकक संग मारिपीट करबाक आरोपमे गणेश महतो एवं राम कुमार महतोकें गिरफ्तार केलक।

    विद्यालयकें प्रधानाध्यापिका विमला नायकके आवेदन पर विद्यालय प्रांगणक अतिक्रमण करबाक आरोपमे गणेश महतो, राम कुमार महतो, लक्ष्मण महतो, लालबाबू महतो, शिवजी महतो, भगवनीया देवी, सुनीता देवी, रूणा देवी, रामदाय देवी, सोमनी देवी सहित कुल 11 गोटेक विरूद्ध थानामे प्राथमिकी दर्ज कएल गेल। प्रधानाध्यापिका विमला नायक कहलनि जे, जा धरि विद्यालयकें अतिक्रमणकारी सं पूर्णत: मुक्त नहि करा लेल जाएत ता धरि विद्यालयमे पठन-पाठनक काज सुचारू रूप सं चालू नहि भए सकैत अछि।

    ओतहि दंडाधिकारी सह प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी उत्तम प्रसाद कहलनि जे, आए महिला पुलिसक नहि रहलाक कारण विद्यालय प्रांगणकें अतिक्रमण कए राखल गेल अछि। एखनहु महिला सबकें विद्यालय प्रांगण सं बाहर नहि कएल गेल अछि।