चैती नवरात्र’क लेल सजि कए तैयार अछि माँ’क मंदिर

    0
    327

    दिल्ली, मिथिला मिरर: आए सं चैती दुर्गा पूजाक शुरूआत भए गेल अछि। मंदिरमे देवी दुर्गा’क पूजाके लेल सब तैयारी कएल जा चुक अछि। मुदा लोकक बीच एकटा असमंजस अछि। मंगलदिन भोर 8 बजिकय 26 मिनट सं पूजाक शुभ मुहूर्त बताओल जा रहल अछि, मुदा ओतहि किछु पंडितक कहब अछि जे, दुर्गा पूजा बुधदिन भोर 6 बाजिकए 18 मिनट सं शुरू होएत। तकर बादो बहुत मंदिरमे प्रसाद, कीर्तन आ नौ दिनोंक लेल विशेष कार्यक्रम राखल गेल अछि।

    एकदिस बहुतो ठाम आए नवरात्रीक शुरुआत भेल अछि, ओतहि बहुतो ठाम कैल्ह सं पूजा शुरू कएल जाएत। दोसर दिस नवरात्रीक लेल बाजार एकदम सं तैयार अछि। सजावटी चौकी, माताक ग्लिटर मूर्ति सं लए कए माताक रंग-बिरंगक वस्त्र सं बाजारक रौनक बढ़ल।

    बाजारमे माताक मूर्ति जे, ग्लिटर सं सजल अछि खूब बिका रहल अछि। एकर दाम 200 रुपैया सं 2 हजार तक।  ओतहि हैंडीक्राफ्ट माला सेहो बाजारमे आबि गेल अछि।