मधुबनीक दंगल मे पहलवानक दांव

    0
    272

    मधुबनी, मिथिला मिरर: कलुआही प्रखंडक राढ़ मलमल उत्तरी पंचायत मे तीन दिवसीय महावीरी झंडोत्सव मंगलदिन सं शुरू भेल। अहि अवसर पर विशाल दंगल प्रतियोगिताक आयोजन सेहो कायल गेल। अहि बातक जानकारी दैत अध्यक्ष सह संचालक देवनारायण यादव कहलनि जे, अहि दंगल प्रतियोगिता मे स्थानीय पहलवान के संग-संग देशक नामी पहलवान भाग लय रहल छथि। जाहि मे दू जोड़ी नामी महिला पहलवान सेहो आबि रहलीह। बुधदिन दंगलक शुरुआत भारत के नामी पहलवान बाबा केशव दास द्वारा अखाड़ा पूजन के संग शुरू भेल।

    पूजन के बाद काशी, बक्सर, गोरखपुर, देवरिया, इलाहाबाद, भोपाल के पहलवान जमि कय अखाड़ा मे अपन दमखम देखबैत कलाई बंद, धोबियापाट, नागफांसक दांव देखौलनि। आयोजन के सचिव सुनील कुमार यादव पहलवानक परिचय करौलनि आ बाबा केशव दास कमेंटेटर के भूमिका मे छलाह।