मुजफ्फरपुर मे कार-मोटरसाइकिल कें टक्कर, दू गोटेक मौत

    0
    278

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे बुधदिन भेल सड़क हादसा मे दू गोटेक मौत भय गेल। घटना जिलाक मोतीपुर थाना क्षेत्रक कोदरकटटा गामक अछि। गामक समीप बुधदिन कार आ मोटरसाइकिल के टक्कर भय गेल। अहि टक्कर मे दू गोटेक मौत भय गेल। घटना के बाद लोक सब लहासक संग एनएच के जाम कय देलक।

    मृतक मे एक गोटेक पहचान मीनापुर के गांगी छपरा निवासी दिलीप सिंह आ दोसर वैशाली जिलाक गौरोल थाना के सोनहो निवासी रामप्रवेश राय के रूप मे कायल गेल अछि। घटना के बाद लोक सड़क जाम कय मृतकक परिजन कें मुआवजा देबाक मांग कय रहल छल।

    सूचना के बाद मौका पर विधायक नंद कुमार राय, बीडीओ, सीओ समेत संबंधित थानाक पुलिस पहुँचि कय लोक के समझा-बुझा कय जाम समाप्त केलक।