सीआईडी’क स्पेशल टीम करत बिहारक चाउर घोटालाक जांच

    0
    455

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक बहुचर्चित चाउर खरीद घोटाला’क जांच सीआईडी कें स्पेशल टीम करत।अहि मामला मे बिहार सरकारक दिस सं ठोस कार्रवाई नहि भेलाक मामला मे पटना उच्च न्यायालय सख्त रूख अख्तियार केलक अछि। न्यायालय अहि केसक जांच कें जिम्मा सीआईडी कें एसआईटी’क टीम के देलक अछि।

    सत्येन्द्र कुमारक याचिका पर न्यायमूर्ति चक्रधारी शरण सिंहक एकलपीठ बुधदिन सुनवाई केलक। गौरतलब अछि जे, बिहार मे लोक पैक्स आ अन्य माध्यम सं धान खरीद करैत छल मुदा ओहि अनुपात मे चाउर नहि भेटैत छल।

    2015 सं एखन धरि अहि मामला मे लगभग 1500 एफआईआर दर्ज कायल गेल मुदा अहि मामला मे कोनो ठोस कार्रवाई एखन धरि नहि कायल गेल। मामलाक गम्भीरताक देखैत न्यायालयक जांचक जिम्मा सीआईडी के देलक अछि। केस मे अगिला सुनवाई 1 मार्च कय होयत।