मधुबनीमे 976 बोतल शराब’क संग दू गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    303

    मधुबनी, मिथिला मिरर: भारत-नेपाल सीमा पर तैनात खौना एसएसबी बीओपीकें जवान गुप्त सूचनाक आधार पर छापेमारी कय सीमा सं भारी मात्रामे देसी व विदेशी नेपाली शराबक साथ दू टा तस्करकें गिरफ्तार केलक अछि। पकड़ल गेल दुनू तस्करक पहिचान हरलाखी थानाक विशौल गाम निवासी ललित सहनी व मनीष सहनीके रूपमे कएल गेल अछि।

    जानकारीक अनुसार एसएसबीकें गुप्त सूचना भेटल छल जे, सीमा क्षेत्रक नेपाल सं भारी मात्रामे नेपाली शराब भारत आनल जा रहल अछि। जाहि पर खौना एसएसबी कैम्पक इंचार्ज एएसआइ नंदन सिंहक नेतृत्वमे जवान कार्रवाई करैत शराब समेत दू टा तस्करकें गिरफ्तार केलक अछि।

    जब्द देसी व विदेशी शराबमे 6 बोतल एसी ब्लैक, 12 बोतल बीयर आ 9 सौ 58 बोतल नेपाली सौंफी शराब सहित कुल 976 बोतल नेपाली शराब शामिल अछि। उक्त बातक जानकारी दैत हरिणे एसएसबी कंपनी इंचार्ज इंस्पेक्टर संतोष कुमार नेगी कहलनि जे, नेपाल सं शराबक एकटा पैघ खेप खौना बार्डर सं आनल जा रहल छल जकर गुप्त सूचना एसएसबीकें भेटल छल।

    सूचना भेटितहिं कार्रवाई कय तस्करकें शराब समेत गिरफ्तार कय लेल गेल। ओ कहलनि जे, जब्द शराब आ दुनू तस्करकें मधुबनी उत्पाद पुलिसक हवाले कय देल गेल अछि।