दरभंगा मे सरकारी शिक्षक समेत जुआ खेलाइत सात गोटे गिरफ्तार

    0
    283

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सदर थाना क्षेत्रक दोनार रेलवे गुमती के समीप पुलिस छापेमारी कय जुआ खेलाइत सात जुआरी के गिरफ्तार केलक अछि। जुआ अड्डा स पुलिस चोरी के एकटा मोटरसाइकिल, छह टा मोबाइल, 33 हजार पांच सौ रुपैया, आ एकटा साइकिल जब्त केलक अछि। एएसपी दिलनवाज अहमद के अनुसार दू दिन पूर्व दोनार गुमती के समीप राति मे एकटा यात्री के घेर कय रुपैया छीनबाक प्रयास कायल गेल छल। पड़ताल मे पता चलल जे, रेलवे ट्रैक के कात जुआ अड्डा चलैत अछि।

    जुआ खेलय वला जहन सबटा हारि जाइत अछि त देर राति यात्री के लूटबाक प्रयास करैत अछि। अहि के देखैत एएसपी’क नेतृत्व मे दंगा नियंत्रण दस्ताक एकटा टीम गठित कय छापेमारी केलक केलक। जाहि मे सदर थानाध्यक्ष शिवमुनी प्रसाद, दंगा नियंत्रक दस्ता प्रभारी जर्नादन शर्मा सहित दर्जनो पुलिस जवान शामिल छल।

    टीम मौका देखि कय रेलवे ट्रैक के दुनू कात सं घेरि कय जुआ अड्डा स्थल पर धावा केलक। पुलिस के देखिते भगदड़ मचि गेल। बहुतो जुआड़ी भागय लागल। मुदा दंगा नियंत्रण दस्ता के जवान सात टा जुआड़ि के पकड़ि लेलक। जाहि मे एकटा सरकारी शिक्षक सेहो बताओल जा रहल अछि।