नगर निकाय चुनावक मतगणना शुरू

    0
    276

    मिथिला मिरर: राज्य निर्वाचन आयोग द्वारा 21 मई कए संपन्न भेल 100 नगर निकाय चुनावक मतगणना शुरू भए गेल अछि। मतगणना केंद्रक बाहर सुरक्षाक चाक-चौबंद व्यवस्था कएल गेल अछि। भोरे आठ बजे सं 35 जिलामे मतगणना शुरू भेल अछि। अहिकेँ लेल 69 मतगणना केंद्र बनाओल गेल अछि। 

    सूत्रक अनुसार लखीसरायके वार्ड नंबर 19क दू टा प्रत्याशीके समर्थकक बीच झड़प भए गेल, बात मारापीटी तक जा पहुंचल आ अहि मामलामे बहुतो लोक घायल भेल अछि। पुलिस हस्तक्षेपकें बाद मामला शांत भेल अछि। मतगणना केेंद्र पर सीसीटीवी सं सेहो नजरि राखल जा रहल अछि।

    किछु छिटपुट घटनाक बीच मतगणना शांतिपूर्ण चलि रहल अछि। किछु जगह सं परिणाम सेहो आबए लागल अछि। दुपहर बाद सब मतगणना केंद्र सं परिणाम आबए लागत।