सड़क आ नाला निर्माणमे अनियमितताक आरोप

    0
    265

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक जयनगर नगर पंचायतक विभिन्न वार्डमे सड़क आ नालाक निर्माणमे नियमक अनदेखी केला सं लोक परेशान अछि। बावजूद अहिकेँ नगर पंचायत प्रशासन तमाशबीन बनल अछि। नगर पंचायतक वार्ड तीन निवासी सेवानिवृत रेलकर्मी रत्नेश्वर झा नगर पंचायतके मुख्य पार्षद आ कार्यपालक पदाधिकारीकें आवेदन दए अपन घरक आगू बनि रहल सड़क आ नालाक निर्माणमे नियमक अनदेखी करबाक आरोप लगेलनि आ मामलाक जांच कय समुचित कार्रवाई करबाक अनुरोध केलनि अछि।

    मामला पर नगर पंचायत प्रशासन द्वारा कोनो संज्ञान नहि लेबा पर सेवानिवृत रेलकर्मी अनुमंडल न्यायालयमे आवेदन दय न्यायक गुहार लगेलनि अछि। आवेदक प्रस्तुत आवेदनमे कहलनि जे, सड़क आ नाला निर्माण सं हमर आवासीय परिसरमे भीषण जलजमाव भए जाएत।

    ओ कहलनि जे, हमर आवासीय परिसर सं सड़क आ नालाक निर्माण करबाक दौरान सड़ककें लगभग चारि फीट उंच कय देल गेल अछि, जाहि कारण जलजमावक संग-संग हमरा आ हमर परिवारक सदस्यकें आवागमनमे सेहो मुश्किलक सामना करय पड़ि रहल अछि।