मिथिला मिरर कें आग्रह पर मैथिलीमे शपथ लेताहः अर्जुन

    0
    285

    सोनीपत,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः दरभंगा सं भारतीय जनता पार्टीक टिकट पर निर्विरोध बिहार विधान परिषदक लेल चुनल गेल बीजेपी नेता अर्जुन सहनी बिहार विधान मंडलमे मैथिली भाषामे शपथ लेताह। मिथिला मिरर कें संपादक ललित नारायण झा केर संग फोन पर भेल बातचीतमे अर्जुन सहनी अहि बातक जानकारी देलनि। हलांकि जखन अर्जुनकें संपादक सं बात भेलनि त पहिने ओ अहि बात पर उहाफोहक स्थिति मे छलाह जे मैथिली आ कि हिन्दी मुदा जखन मिथिला मिररक संपादक अहि बातक जानकारी करवौलनि जे अपनेक पार्टी वरिष्ठ नेता विनोद नारायण झा मैथिली भाषामे शपथ लेताह तखन फेर ओ मैथिलीमे शपथ लेवाक बात पर तैयार भए गेलाह।
    जीतक बाद जखन अर्जुन सहनी क्षेत्रमे पहुंचला तऽ ओहिकें बाद स्थानीय कार्यकर्ता हुनकर भव्य स्वागत केलखिन। क्षेत्रीय कार्यकर्ता लोकनि दरभंगाक शहरी सीट सं भाजपा विधायक संजय सरावगी आ नव निर्वाचित विधान पाषर्द अर्जुन साहनीकें रंग-अबीर आ फूल-माल सं सम्मानित कैलनि। जीतलाक बाद अर्जुन कहलाजे हम क्षेत्रक विकासक लेल विधान मंडलमे हम एकटा सशक्त अवाज बनि अपन क्षेत्रक जनता आ कार्यकर्ताक विश्वास पर ठाढ़ हैव, संगहि मिथिला-मैथिलीकें सेहो विधान मंडलमे आओर पूरजोर ढंग सं रखवाक कार्य करब।