अमेरिकाक कैलिफोर्निया शहरमे बैरसाइत मनावैत मैथिलानी

    0
    270

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिल कतौ होइथ अपन सभ्यता आ संस्कृतिकें बचा कऽ रखवाक पूरजोर कोशिश करैत छथि। एहनमे जौं मैथिलानी लोकनि सेहो अपन सांस्कृतिक महत्वकें बुझैत ओकरा संवर्धनक लेल आगू अवैत छथि त निश्चित रूपहि इ एकटा नव भोरक आभास थिक। अपना माटि-पानि सं दूर सात समुद्र दूर जाहि तरहक दृश्य बैरसाइतक अवसर पर अमेरिका सं देखवाक लेल भेट रहल अछि ओ बहुत किछु कहवाक लेल कम अछि।
    अमेरिकाक कैलिफोर्निया मे सेहो मैथिलानी लोकनि विधिवत अपन पतिक दीर्घायु हेवाक लेल श्रद्ध-उल्लासक संग बरसाइत मनौलनि। कैलिफोर्निया शहर स्थित फ्रेमोंट हिन्दू मंदिरमे भारी संख्यामे मैथिलानी एकत्रित भए बरसाइत पाविन धूम-धाम सं सपन्न केलीह। मिथिला मिररक संपादक सं भेल बातचीतमे कैलिफोर्नियामे रहि रहल मैथिलानी कमलाक्षी झा अहि बातक जानकारी देलनि। संगहि इ मिथिला मिररक लेल सेहो गर्वक विषय थिक जे भारतक बाद मिथिला मिरर सब सं बेसी अमेरिकामे पढ़ल आ देखल जाइत अछि, जे वास्तवमे ग्लोबल मिथिलाक लेल एकटा बड़ पैघ सुखीतगर संदेश छैक।