राजा सल्हेस पर चारि करोड़क लागत सं तीन भाषा मे बनत फिल्म

    0
    335

    मिथिला मिरर: राजा सल्हेस के मिथिला मे सर्वजातीय श्रद्धा एवं प्रतिष्ठा प्राप्त अछि। हालांकि सल्हेस के अप्पन जातीय समुदाय मे लोक भगवान मानि कय पूजै छन्हि। राजा सल्हेसक विषय मे बहुतो लोक कथा लोकप्रिय अछि। मुदा हुनकर कुशल राज्य काजक शैली एवं वीरता स पूर्ण हिनकर गाथा, उपन्यास, नाटक, लोकचित्र या नृत्य आदि साहित्यिक एवं सांस्कृतिक माध्यम के अलावा अधिक उल्लेखित नहि भय सकल अछि।

    आब राजा सल्हेस पर एकटा फिल्म ‘सलहेस द पिपुल्स हिरो’ बनय जा रहल अछि। नेपालक राजधानी काठमांडू मे 22 अगस्त सोमदिन एकटा कार्यक्रम मे अहि फिल्मक निर्माण के घोषणा कायल गेल। ई फिल्म भोर कम्पनी प्राइवेट लिमिटेड के बैनर तले बनि रहल अछि। अहि फिल्मक निर्देशन दिल्ली स्थित एशियन एकेडेमी अफ फिल्म एण्ड टेलिविजन सं पढाई करय बला अमितेश साहले कय रहल छथि।

    फिल्म के लेल करीब चारि करोड़क अनुमानित बजट राखल गेल अछि, फ़िल्मक छायांकन नेपालक धनुषा, महोत्तरी, सिरहा, सप्तरी, चितवन के संगहि भारत के कुछ स्थान पर कायल जायत। फिल्मक कहानी डा. राजेन्द्र विमल आ संवाद महेन्द्र मलगिंया लिखलनि। अहि फिल्म के तीन भाषा मैथिली, नेपाली आ अंग्रेजी मे बनेबाक योजना अछि। फिल्मक पोस्टर लांच कायल जा चुकल अछि, जे सोशल मीडिया पर काफी चर्चा मे अछि।