छेड़खानीक विरोध मे आक्रोशित लोक मनचला के घर सं घिचि कय पिटलक

    0
    330

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाक पंजाबी कॉलोनी के समीप एकटा छात्राक संग भेल छेड़खानीक बाद शहर मे जमिकय बबाल मचल अछि। छात्राक परिजन के संग सैंकड़ोक संख्या मे स्थानीय लोक आरोपी मनचला के घर सं घिचि कय पिट देलक। बाद मे नगर थाना लय जा पुलिसक हवाले कय देलक।

    सूत्रक अनुसार, दादपुर मोहल्लाक एकटा छात्रा कैल्ह साँझ मे स्कूल स घर वापस आबि रहल छल, त न्यू कॉलोनी मोहल्ला के किछु मनचला लड़कीक संग छेड़खानी केलक। लड़की आ घरवला द्वारा विरोध कायल गेल त आरोपी लड़का लड़की के घर पर जाकय बन्दुक देखा कय धमकी देलक।

    अहि बातक खबरि जहन आसपास मे पसरल त लोक आक्रोशित भय गेल आ आरोपी के घर स खींचकय पिटाई केलक। अहि के बाद पुलिसक हवाले कय उचित कार्रवाईक मांग कायल गेल। मुदा जहन काफी देर बादो पुलिस द्वारा कोनो कार्रवाई नहि कायल गेल त लोक आक्रोशित भय गेल आ हंगामा करय लागल।

    लोक ओवरब्रिज चौराहां पर तोड़-फोड़ करय लागल आ थानाक घेराव कय पुलिस-प्रशासनक खिलाफ नारेबाजी करय लागल। बढ़ैत हंगामा के देखि डीएसपी तनवीर अहमद दल-बलक संग पहुंचलाह। अक्रोशित लोक के समझा-बुझा कय शांत कायल गेल। दोषिक खिलाफ खख्त कार्रवाई करबाक आश्वासन दय सड़क जाम हटाओल गेल।