शक्तिकांत दास बनलाह रिजर्व बैंकक गवर्नर

0
1384

दिल्ली, मिथिला मिरर : उर्जित पटेलकेँ रिजर्व बैंकक गवर्नरक पदसँ अचानक इस्तीफा देबाक बाद आब श्री शक्तिकांत दासकेँ भारतीय रिजर्व बैंक (आरबीआई)क’ नव गवर्नर बनाओल गेल अछि। शक्तिकांत दास अखनि वित्त आयोगक सदस्य छथि। श्री दास पूर्व वित्त सचिव रहि चुकल छथि। कहल जा रहल छैक जे दू साल पहिने शक्तिकांत दास नोटबंदीक दौरान बेहद अहम भूमिका निभोने छलाह। सोमदिन 10 दिसंबरकेँ उर्जित पटेल निजी कारणक हवाला दैत आरबीआई गवर्नर पदसँ इस्तीफा देने छलथि। पटेल रघुराम राजनक जगह लेने छलाह। हुनक कार्यकाल 3 सालक छल।

के छथि शक्तिकांत दास तमिलनाडु कैडरक आईएएस अधिकारी शक्तिकांत दासक जन्म  26 फरवरी 1957केँ भेल छल आ इ इतिहासमे एमए केने छथि। श्री दास रिटायरमेंटक बाद वर्तमानमे भारतक 15म वित्त आयोग आ भारतक शेरपा जी -20 मे सदस्य छथि। शक्तिकांत दास भारतक आर्थिक मामलाक सचिव,  राजस्व सचिव आ उर्वरक सचिवक रूपमे सेहो काज केने छथि। केंद्रीय आर्थिक मामलाक सचिव रूपमे अपन कार्यकालक दौरान, शक्तिकांत दास भारतक सबसँ शक्तिशाली लोकमे सँ एक मानल जाइत छलाह।आर्थिक मामलाक विभाग (डीईए)क पूर्व सचिव शक्तिकांत दासकेँ पछिला साल जी-20 मे भारतक शेरपा नियुक्त कएल गेल छल।