मगध विश्वविद्यालय मे नियुक्तिक लेल बिहार सरकार के सर्वोच्च न्यायालय’क नोटिस

    0
    481

    पटना, मिथिला मिरर: मगध विश्वविद्यालय के नियुक्ति मामला मे सर्वोच्च न्यायालय बिहार सरकार आ मगध विश्वविद्लय के नोटिस पठा कय अहि मामला पर जवाब मंगलक अछि। ज्ञात हो कि मगध विश्वविद्यालय मे शिक्षकक नियुक्तिक लेल सर्वोच्च न्यायालय मे एकटा याचिका दायर छल, जाहि पर सुनवाई करैत न्यायालय बिहार सरकार आ मगध विश्वविद्यालय स जवाब तलब केलक अछि।

    सर्वोच्च न्यायालय के निर्देशक अनुसार बिहार सरकार के मगध विश्वविद्यालय मे शिक्षाक गुणवत्ता बनेबाक आ छात्रक उज्जवल भविष्य के ध्यान मे राखि कय उच्च शिक्षा प्राप्त शिक्षकक नियुक्ति करबाक छल। संगहि पूर्व स नियोजित शिक्षक मे स जे विश्विद्यालय मानदंड पर खड़ा उतरथि हुनका नियमित रखनाक आदेश छल।