दरभंगा मे खूब बिका रहल अछि बियरक बोतल मे जापानी जूस

    0
    564

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार सरकारक शराबबंदी के फैसला के बाद राज्यक सब शराबक दोकान पर ताला लटकि रहल अछि, मुदा दरभंगा जिलाक एकटा शराब दोकान सुर्खि मे अछि। दरअसल, ई पहिल नजरि मे बिल्कुल शराबक दोकान देखाइत अछि।

    एकर खास बात ई अछि जे, अहि दोकान मे भेटय वला सामान सेहो बीयरक बोतल जेना अछि जे, चर्चाक विषय बनल अछि। लोक उत्सुकतावश दोकान पर आबि बीयर जेना देखाय वला अहि बोतल के किनि क मजा सं पिबैत अछि।

    दरअसल आई दोकान मे बीयर बोतल जेना देखाय वला बोतल मे जापानी टेकोनोलॉजी स निर्मित जूस बेचल जा रह अछि। अहि कम्पनीक दावा अछि जे, ई बीयर जूस सेहतक लेल काफी फायदेमंद अछि। अहि सं कोनो शरीरक अंग खराब नहि बल्कि और तंदुरुस्ती प्रदान करैत अछि। लोक बीयर के जेना देखाय वला अहि फ्रूट बीयरक जूस के पिलाक बाद आनंदित महसूस करैत छथि।