राजकीय सम्मानक संग पंचतत्वमे विलीन भ’ गेलाह अटलजी

0
325

नई दिल्ली, मिथिला मिरर : पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी पंचतत्वमे विलीन भ’ गेलाह । हुनक अंतिम संस्कार दिल्ली स्थित स्मृति स्थलमे राजकीय सम्मान संग भेलनि। हुनक पोष्यपुत्री नमिता भट्टाचार्य मुखाग्नि देलखिन। स्मृति स्थल पर  राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद, उपराष्ट्रपति वेंकैया नायडू, पीएम मोदी, बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह, लालकृष्ण आडवाणी समेत तमाम नेतागण श्रद्धांजलि देबाक लेल पहुँचल छलाह। वाजपेयीजीक  अंतिम यात्रामे हुनक पार्थिव शरीर ल’ जा रहल वाहनक  सँग  प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी, बीजेपी अध्यक्ष अमित शाह समेत अनेको केन्द्रीय मंत्री आ अनेको राज्यक मुख्यमंत्री अंतिम संस्कार लेल राष्ट्रीय स्मृति स्थल पर पहुँचलाह। 93 वर्षक अवस्थामे बुधदिन 16 अगस्तक सांझ 5:05 बजे वाजपेयीजी दिल्ली स्थित एम्समे स्वर्गीय भ’ गेल छलाह। स्मृति स्थल पर अटलजीक अंतिम यात्रामे जनसैलाब उमड़ि  गेल छल लगभग सभ राजनितिक दलक नेता सभ अटलजीके श्रद्धांजलि देलाखिन जाहिमे पूर्व प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह, कांग्रेस अध्यक्ष राहुल गांधी, सीपीआई (एम) महासचिव सीताराम येचुरी, दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल, डिप्टी सीएम मनीष सिसोदिया, डीएमके नेता ए राजा, असमकेँ  सीएम सर्वानंद सोनोवाल, मणिपुरक सीएम एन बिरेन सिंह संगहि तीनू सेनाक सेनाध्यक्ष सेहो वाजपेयीजीके श्रद्धांजलि देलाह। आरएसएस प्रमुख मोहन भागवत सेहो पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीजीक आवास पर जा श्रद्धांजलि देलाह। ओतहि किछु विदेशी प्रतिनिधि सभ सेहो स्मृति स्थल पर श्रद्धांजलि देबाक लेल पहुंचलाह जेना अफगानिस्तानक पूर्व राष्ट्रपति हामिद करजई, श्रीलंकाके विदेश मंत्री लक्ष्मण किरैल्ला, बांग्लादेशक विदेश मंत्री अबुल हसन मोहम्मद अली, नेपालक विदेश मंत्री प्रदीप कुमार ग्यावली, भूटानक राजा जिग्मे खेसर नामग्याल वांगचुक पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी श्रद्धांजलि दैत अंतिम संस्कारमे शामिल भेलाह ।