सड़क पर पसरल गंदगी सं बढ़ल लोकक परेशानी

    0
    258

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: जिला भरि मे प्रशासनिक स्तर पर लगातार स्वच्छता अभियानक लेल अभियान चलेबाक बात कहल जा रहल अछि। मुदा बिहारीगंज प्रखंड मुख्यालय मे सरकारक ई अभियान पूर्ण रुपए बेअसर नजरि आबि रहल अछि। एतय सड़क पर पसरल गंदगी स लोकक परेशानी लगातार बढ़ि रहल अछि।

    स्थानीय लोकक पहल के बावजूद प्रखंड प्रशासन अहि दिशा मे उदासीन बनल अछि। मुख्य बाजार स्थित गुदड़ी बाजार के समीप सड़कक कात पसरल गंदगी स्वच्छता अभियान के मुंह दुसि रहल अछि। अहि सड़कक बहुतो बेर जनप्रतिनिधि व व्यवसायी द्वारा सफाई कराओल गेल मुदा, सड़कक कात लागल कचराक ढ़ेर के उठेबाक लेल कियो प्रयास नहि केलक।

    गंदगीक कारने सड़क स गुजरय वला राहगीर के नाक झाँपि कय जाय पड़ैत अछि। व्यसायी सब के कहब अछि जे, अहि सड़क स अधिकारी व जनप्रतिनिधिक वाहन गुजरैत अछि मुदा, कचरा हटेबाक प्रति सब उदासीन बनल छथि।