बरसात मे देबाल खसला सं तीन टा बच्चाक दर्दनाक मौत

    0
    285

    नालंदा, मिथिला मिरर: बिहार के नालंदा मे बुधदिन देर राति एकटा हादसा मे तीनटा बच्चाक दर्दनाक मौत भय गेल। घटना जिलाक चंडी थाना क्षेत्रक चितरबिगहा गामक अछि, जतय दू मंजिला मकानक देबाल बरसात के कारण खसि पड़ल।

    देबाल खसला सं मलबा मे दबि कय 3 टा बच्चाक मौत भय गेल, जहनकि एकटा महिला समेत चारि टा लोक गंभीर रूप स घायल भय गेल। घायल के इलाजक लेल बिहारशरीफ सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल।

    बताओल जा रहल अछि जे, बरसात के कारण बुधदिन राति मे कृष्णा रजक के दू मंजिला मकानक देबाल युगल केवटक मकान पर खसि पड़ल। मलबा खसला सं युगल केवट के घर मे सुतल तीन टा बच्चाक मौत भय गेल।

    मलवा मे दबला सं युगल केवट के पत्नी सहित चारिटा अन्य लोग गंभीर रूप स घायल भय गेल। मकान खसबाक सूचना पर चंडी थाना पुलिस मौका पर पहुंचि कय ग्रामीणक सहयोग स मलबा मे फंसल लोक के सुरक्षित बाहर निकाललक।