जदयू नेताक घर सं शराब बरामद, गिरफ्तारी के बाद ग्रामीणक हंगामा

    0
    260

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक शराबबंदी कानूनक शिकार हुनके पार्टीक एकटा नेता के होबय पड़लनि। मामला मुख्यमंत्रीक गृह प्रखंड हरनौत स जुड़ल अछि। हरनौत के जदयू प्रखंड अध्यक्ष इंद्रजीत सेन के घर गुप्त सूचनाक आधार पर उत्पाद विभागक अधिकारी छापेमारी कय इंद्रजीत के घर स 168 बोतल देशी शराब बरामद केलक।

    उत्पाद पुलिस अहि दौरान मौका स आरोपी प्रखंड जदयू अध्यक्ष इंद्रजीत सेन के गिरफ्तार कय लेलक अछि। प्रखंड जेडीयू अध्यक्षक गिरफ्तारीक खबरि भेटतहि लोहरा पंचायतक ग्रामीण अध्यक्ष के छोड़ाबय के लेल बिहारशरीफ स्थित उत्पाद थाना मे पहुंच कय हंगामा शुरू कय देलक।बताओल जा रहल अछि जे, अध्यक्ष के चुनावी रंजिश मे साजिश के तहत फंसाबय के आरोप लगाओल अछि।