एनएआई केर 24म वार्षिकोत्सव सम्मान समारोहमे सम्मानित भेलाह अभिषेक मिश्र

    0
    249

    दिल्ली-मिथिला मिररः नई दिल्लीक एनडीएमसी कन्वेंशन हाॅलमे न्यूज पेपर एसोसिएशन आॅफ इंडियाक 24म वार्षिकोत्सव आ सम्मान समारोहमे उन्नत भारत सोशल वेलफेयर सोसइटीक संस्थापक अभिषेक मिश्रकें सम्मानित कैल गेलनि। 2 दिसंबर कऽ आयोजित अहि सम्मान समारोहमे अभिषेकक संग-संग विभिन्न क्षेत्रमे कार्य कऽ रहल बहुतो गेटे कें सम्मानित कैल गेलनि।
    पैछला करीब सात-आठ साल सं गैर सरकारी संगठनक क्षेत्रमे अभिषेक लगातार किछु ने किछु नव करवाक कोशिश करैत रहला अछि आ ओहि नव करवाक हिम्मतकें एनएआई सम्मानित केलक। अभिषेककें इ सम्मान केन्द्रीय मंत्री अर्जुन राम मेघवाल आ मारवाह स्टूडियोक संस्थापक संदीप मारवाह संयुक्त रूप सं देलनि।