तेजस्वी यादव बिहारक भाजपा नेता के कहलनि ‘छपासक रोगी’

    0
    273

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव बिहार भाजपा’क नेता पर जमि कय हमला करैत कहलनि जे, बीजेपी के दिग्गज नेता के छपासक रोगी बनि गेल छथि। शनिदिन तेजस्वी कहलनि जे, बिहार भाजपा नेता मे आपस मे काफी फूट अछि। बिहारक भाजपा नेताक एखन कोनो पूछ नहि अछि, चाहे ओ सुशील मोदी हो या फेर कोनो पैघ नेता।

    तेजस्वी कहलनि जे, बीजेपी के नेता मे आपसी कंपटीशन अछि, चाहे वो मंगल पांडेय हो या फेर गिरिराज सिंह, सुशील मोदी हो या फेर नंदकिशोर यादव। तेजस्वी कहलनि जे, अहि कारण स ई नेता मीडिया मे लगातार बनल रहबाक लेल उटपटांग बात करैत छथि आ अनर्गल बयान दैत छथि। उप मुख्यमंत्री आरोप लगेलनि जे, बीजेपी नेता के बिहारक विकास स मतलब नहि अछि, ओ मीडिया माइलेज लेबाक लेल उलुल जुलुल बात करैत छथि।